.jpg)
.jpg)

सोसाइटी फॉर कम्प्यूटर एजुकेशन
फ़ोन - 2236६८ मोबाइल - 9386258515
मिथिलाक हृदय स्थली मधुबनी मे स्व0 राजीव गाँधीक सपना के साकार करय लेल एकटा संस्था 1993 मे खोलल गेल जकर उद्श्य गाम घरक युवा वर्ग के कम्प्यूटर शिक्षा द’ क’ देशक प्रगति मे जोड़बाक प्रयास छल। ई संस्थान छल सोसाइटी फाॅर कम्प्यूटर एजुकेशन सर्किल। एकर संस्थापक श्री बिमल चन्द्र झा आ सतीश चन्द्र झा छथि।ई संस्थान 1993 सँ आइ धरि अविरल धार जेंकाँ सब तरहक बाधा के पार करैत कखनो मंद त’ कखनो तेज गति सँ बहैत रहल अछि।एखन धरि एहि संस्थान सँ हजारो हजार युवा वर्ग कम्प्यूटर के उचित शिक्षा ग्रहण करैत नीक नीक पद पर कार्यरत छथि। एतय कम्प्यूटर क्षेत्राक बहुत रास शिक्षा देल जाइत अछि जे वर्तमानक परिपेक्ष मे उपयोगी होइक आ नव नव क्षेत्रा मे कम्प्यूटर के बढ़ि रहल मांग के पूरक सेहो होइक।ई संस्थान सत्त समाजक कमजोर वर्ग, महिला,विकलांग , हरिजन आदि के हितैसी बनल उचित सहयोग करैत रहल। एहि संस्थान के बैचारिक रूप सँ सहयोग करय बला किछु आदरणीय लोकनि सेहो याद अबैत छथि।
मधुसुदन झा
ग्राम + पो0 - नगवास,
जिला - मधुबनी
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें