**मिथिलाक बात** बनल अष्टदल अड़िपन आँगन, माछ, मखान, पान अछि प्रचलित। चरण छूबि आशीश लैत छैथ, जतय बृद्ध केँ एखनहुँ धरि नित।

मंगलवार, 19 अक्तूबर 2010

kavita

आम चुनाव

अछि गाम-गाम मे उतरि रहल
किछु लोक फेर सँ अनचिन्हार।
अछि पर्व चुनावक आवि गेल
क्षण-क्षण जड़तै सौंसे बिहार।

हमरे गामक किछु लोक बेद
आतंक मचायत अर्थ पाबि।
के कखन ककर दल मे जायत
के छीन लेत सभ वोट आबि।

नहि जानि कते दल बनत फेर
संघर्ष हएत टूटत समाज।
ओ रहत फेर अपने एक्कहि
छै ओकर मात्र विध्वंस काज।

जौं छै सभके उद्ेश्य एक
मानव सेवा कल्याण कार्य।
त’ बनल कियै छै दल सहस्त्र
क’ रहल कियै छै घृणित कार्य।

हम कोना करू प्रतिकार एकर
जड़ि गेल समाजक आत्मबोध।
सभटा जनितो सभ वोट देत
अन्यायक के करतै विरोध।

जातिक अछि भ गेल राजनीति
भाषा भाषा मे भेद भाव।
सभ अपन स्वार्थ मे अंध भेल
क’ रहल मनुक्खक मोल भाव।

बनते सरकार एतय ककरो
नहि बदलि सकत संपूर्ण चित्र।
विपदा बिहार के मिटा सकय
अछि कहाँ आइ ओ एकर मित्र।


सतीश चन्द्र झा

kavita

चुनाव
बजि उठल चुनावक रणभेरी
पसरल जय हो! के तुमुल नाद।
सभटा दल उतरल महल छोरि
क‘ उठल विजय कें शंखनाद।

हिंसा,हत्या,तृष्णाक आगि
पसरत सगरो जड़तै बिहार।
इतिहास बनत छल बल धन सँ।
नहि जानि ककर छै जीत हार।

साकांक्ष मेल जन जन सगरो
भय सँ जीवन की त्राण लेत !
ई धृ्र्रणा द्वेष के महापर्व
नहि जानि कते के प्राण लेत !

प्रतिपक्ष अगिलका सरकारक
गद्दी लए अछि बुनि रहल जाल।
सत्ता सुख सबके परम लक्ष्य
के देखि सकत रौदी अकाल !

भरि गाँव टोल सगरो घुमि घुमि
बोधत कहुना जीतत चुनाव !
सामथ्र्यवान के संग लेत
भूखल सँॅ एकरा की लगाव !

सम दोष एक दोसर के द‘
छीनत भविष्य के पाँच साल।
सुख दुख ओहिना जीवन ओहिना
जहिना छल बीतल पाँच साल !

सतीश चन्द्र झा
मधुबनी
ब्लॉगकेँ डिजाइन बिमल चंद्र झा द्वारा कएल गेल अछि !

 
मिथिलाक बात ... (c) मैथिल आर मिथिलाप्रिय जालवृत्त प्रेमी पाठकगण, ' मिथिलाक बात ' जालवृत्तक लोकप्रियताकेँ देखैत जालवृत्तक लेल एक अलग ई-मेल ID बनाएल गेल अछि। अपने सभसँ अनुरोध जे जालवृत्तक प्रति अपन परामर्श-टिप्पणी ब्लॉग पर प्रकाशित करबाक लेल, अपन रचना आ कि सदस्यता लेल जालवृत्तक टीमसँ mithilakbibhuti@gmail.com पर संपर्क करी।
चिट्ठाजगत Submit Your Site To The Web's Top 50 Search Engines for Free! Hindi Blogs. Com - हिन्दी चिट्ठों की जीवनधारा Hindi Blog Tips

मिथिलाक बात मिथिलाक पवित्र भूमि मधुबनी सँ प्रकाशित